कुमार चन्दन । गरुडा , कार्तिक २० गते
रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ से प्रतिनिधि सभाके स्वतन्त्र उमेदवार प्रभु साहके प्रचारमे सत्यनारायण भगत सामिल भेल देखलगेल छत ।

एतबारके दिन देवाही गोनाहीमे पूर्व ऊर्जा राज्यमन्त्री सत्यनारायण भगत बिन स्वतन्त्र उमेदवार प्रभु साहके पक्षमे चुनाव प्रचार कररहल छत । रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ मे प्रतिनिधि सभाके उमेदवार रहल प्रभु साहके पाँच दलीय गठबन्धनके समर्थन प्राप्त भेल हए । सत्ता पक्षीय पाँच दलीय गठबन्धनके साझा उमेदवारके रुपमे गठबन्धनके शीर्ष नेतालोग स्वीकार कएलाके बाद नेकपा माओवादी केन्द्रके अधिकांश नेता लोग प्रभु साहके चुनाव प्रचारमे लागल छत । नेता साहके चुनाव प्रचारमे प्रदेश सभाके स्वतन्त्र उमेदवार कुन्दन कुशवाहा लगायतके लोग रहल खबर प्राप्त भेल हए ।
Sthaniya News
